मधुबनी,मिथिला मिररः सूत्र सं मिल रहल जानकारीक मुताबिक द्वतिय चरणक पंचायत
शिक्षक नियोजन में असहयोगपूर्ण रवैया अपनेवाक कारणें जिला पदाधिकारी लोकेश
कुमार सिंह 4 गोट मुखिया के जवाब-तलब केलाह। जाहि मुखिया के जवाब-तलब कैल
गेल ओ कलुआही प्रखंड के हरिपुर दक्षिण, मलमल उत्तर, लोहा आओर बाबूबरही
प्रखंड के बरदाही पंचायतक मुखिया शामिल छथि।
सूत्रक मानी त जानकारीक अनुसार डीएम उक्त चाइर पंचायतक मुखिया सं जवाब-तलब करैत कहलाह जे द्वतिय चरणक शिक्षक नियोजन में बिहार पंचायत राज अधिनियमक धारा 2006 के धारा 18(5) के तहत नियोजन में बरतल गेल शिथिलताक विरूद्ध कार्रवाई के लेल पंचायती राज विभाग, पटना के लिखल जाय। जिलाधिकारी उक्त मुखिया के इ आदेश देलाह की पत्र प्राप्तिक एक सप्ताहक भीतर ओ अपन स्पष्टीकरण समर्पित करैथ।
सूत्र सं मिलल जानकारी अनुसार, नियोजन सं संबधित 18 अक्टूबर क जारी पत्र में डीएम उल्लेख केलाह कि रहिका प्रखंड में विगत 6 सितंबर 2013 क आयोजित भेल समन्वय समितिक बैसार में हरिपुर दक्षिण, मलमल, लोहा आ बरदाही पंचायतक सचिव लोकनि अहि बात जानकारी देने छलाह जे हुनकर पंचायतक मुखिया द्वतिय चरणक शिक्षक नियोजन में सहयोग नहि कय रहल अछि। द्वतिय चरणक नियोजन के लेल तैयार कैल गेल मेधा सूची पर हस्ताक्षर करवा में मुखिय लोकनि आनाकानी कय रहल छथि। जाहि करणें नियोजन संबंधित कार्य के संपादन करवा में विलंब भय रहल अछि।
शिक्षक नियोजन के कार्यक्रम के लेल बिहार सरकार समय-सीमा तय केने अछि आ ओहि समय के भीतर अहि प्रक्रियाक के पूरा कय देबाक छैा। अगर समय सं कार्य पूरा नहि होयत त डंडक सेहो प्रावधान अछि। अहि बाबत डीएम बाबूबरही आ कलुआही के बीडीयो के दिशा-निर्देश देलाह आ कहला जे अहि पत्र के गंभीरता सं लय अहि पर कार्य कैल जाय।
सरकारी नौकरी - Government Jobs - Current Opening All Exams Preparations , Strategy , Books , Witten test , Interview , How to Prepare & other details